Together We Stand For
Mithila

नीक शिक्षा,
बेहतर स्वास्थ्य
आ हर हाथ के काज चाही
मिथिला हमर आबाद चाही।

Support Mithila Rajya Andolan

Play Video

उजरल लचरल मिथिला, आबाद चाही,
बिहार सँ अलग – मिथिला राज्य चाही।।

MSU Founders

National President

मिथिलाक विकास आ वर्तमान स्थिति में बदलाव के एकमात्र रास्ता छै “मिथिलावाद”। बेरोजगारी, अशिक्षा, पलायन, कुव्यवस्था, गरीबी, बाढ़ जेहन समस्या सब स पीड़ित मिथिला में आमूल चूल व्यवस्था परिवर्तन के जरूरत छै। MSU पिछला 7 साल स क्षेत्र आ छात्र के मुद्दा स जुड़ल समस्या के उठाबैत एले आ मिथिला के विकास लेल सदैव संघर्ष करैत रहत।

नीक शिक्षा, बेहतर स्वास्थ्य
आ हर हाथ के काज चाही…मिथिला हमर आबाद चाही।

गाम में लोक रहै, खेत में पैन पहुंचई,
अपराधमुक्त मिथिला में कानूनक राज चाही
मिथिला हमर आबाद चाही।

हस्पताल में डागदर होई, इस्कुल में माहटर होई,
बलौक में बाबू जनता के जिम्मेदार चाही
मिथिला हमर आबाद चाही।

बंद सब मिल खुलै, नबका उद्योग लगै,
क्षेत्रक विकास के नबका आगाज चाही
मिथिला हमर आबाद चाही।

आदित्य मोहन
राष्ट्रीय अध्यक्ष, MSU

Social Media Updates

Twitter updates

Facebook updates

Recent News